मैथिली हनुमान गीत : बूटी आनि दिअ फेरो यौ वीर हनुमान


भेल लहालोट दुनिया बचबियौ ने प्राण
बूटी आनि दिअ फेरो,  यौ वीर हनुमान

माहुरक बाण  काल  फेकलक नुकाक'
लखन  जकाँ  जग ई, खसल  अरराक'
आबि ताकि दिअ सुषेणक ठ'र-ठेकान
बूटी आनि दिअ...

रामक बनेलहुँ अहाँ  बिगड़ल काज यौ
कलपैत  भक्तकेर,  रखियौ ने लाज यौ
छै   अहीँपर   टांगल   सभकेर   ध्यान
बूटी आनि दिअ...

जगत   हितकारी  छी   अहाँ  बजरंगी
दुष्टक विनाशक यौ,  भललोकक संगी
दिअ   आशीष  अक्षय करू  कल्याण
बूटी आनि दिअ...
◼️

टिप्पणियाँ

एक टिप्पणी भेजें

अहाँक प्रतिक्रिया हमरा लेल महत्त्वपूर्ण अछि

लोकप्रिय पोस्ट