नचारी : घेरने छै क्लेश बाबा...
घेरने छै जिनगी के अगबे क्लेश
बाबा, अहाँ बिनु जिनगी मे किछुओ नै शेष
बाबा, अहाँ बिनु जिनगी मे किछुओ नै शेष
1.
छी कृपानिधि, अहाँ शिव यौ
कहू दुख ल' हम, कोना जीब यौ
नोरे टा हमरा, भेटल सनेश
बाबा...
छी कृपानिधि, अहाँ शिव यौ
कहू दुख ल' हम, कोना जीब यौ
नोरे टा हमरा, भेटल सनेश
बाबा...
2.
अहाँ सुनै छी, सभहक विनती
ताहि सब मे नै, हमर गिनती
कहू कहिया धरि, लगतै यौ ठेस
बाबा...
अहाँ सुनै छी, सभहक विनती
ताहि सब मे नै, हमर गिनती
कहू कहिया धरि, लगतै यौ ठेस
बाबा...
3.
छी हम बाबा, यौ उपास केने
अक्षय दर्शन, केर आस धेने
एकबेर पुरा दिअ, हमरो उदेश
बाबा....
छी हम बाबा, यौ उपास केने
अक्षय दर्शन, केर आस धेने
एकबेर पुरा दिअ, हमरो उदेश
बाबा....

टिप्पणियाँ
एक टिप्पणी भेजें
अहाँक प्रतिक्रिया हमरा लेल महत्त्वपूर्ण अछि