भगवती गीत : बेटा छियौ गे मैया तोरे हम दुलरूआ
बिसरलें तोँ किए हमरा, भेलौ एसगरूआ
बेटा छियौ गे जननी, तोरे हम दुलरूआ
अधम अपाटक मानल हम दिनजरूआ
बेटा छियौ गे...
१.
बैसल शरण हम खेखनी, उठा ले ने कोरमे
लागैए भासल जाइ छी, माय गे हम नोरमे
बाइस लागय जीवन भेलै, गेलै भाग अरूआ
बेटा छियौ गे....
२.
सपना हमर भेलै, क्षण भरिमे स्वाहा
नियति लागय जेना, छाउर एकछाहा
सनकल बूझैए आब, माय गे गौंआ घरूआ
बेटा छियौ गे...
३.
बान्हल छै तोरेसँ, अक्षय ई आस गे
बना गुलशनकेँ.., चरणक खबास गे
तोहर चरण ई माय गे, ममताक गेरूआ
बेटा छियौ गे...
◼️◼️◼️
छवि- नावादा भगवती
नोट- एहि गीतक रिकार्डेड वर्जन सुनबाक लेल एतय क्लिक करू.


टिप्पणियाँ
एक टिप्पणी भेजें
अहाँक प्रतिक्रिया हमरा लेल महत्त्वपूर्ण अछि