सामा गीत : गढ़ि दिअ सामा यै भौजी...

 


गढ़ि दिअ सामा यै भौजी, भैयाके छन्हि अबाइ
अओता जँ भैया यै भौजी, झुमका देब गढ़ाइ
गढ़ि दिअ......

सामा संग चकेबा गढ़ियौ, वृंदावन दिअ बनाइ
से वृंदावन जँ जरतै, मोर भैया देताह मिझाइ
गढ़ि दिअ......

सामा खेल' जेबै यै भौजी, सखिया सहेलियाके टोल
डाहब चुगिला मिलि-जुलि, हँसि-हँसि हम मुसकाइ
गढ़ि दिअ........

भैयाके औरूदा हे सामा, भौजीके दिअ अहिबात
अहीं सन हमहूँ चिड़िया, उड़ि जाएब अक्षय वास
गढ़ि दिअ........
💐💐
 ◼️◼️
नोट:- ई गीत सुनबाक लेल एहिठाम क्लिक करू
 

टिप्पणियाँ

लोकप्रिय पोस्ट