मैथिली भगवती गीत : कहू बेटीकेँ किए बिसारि देलहुँ यै
ताग ममता के, जननी ससारि देलौ यै
कहू बेटी के किए, बिसारि देलौ यै
सुख दुख कहू आब ककरा सुनेबै
अहाँ बिनु मैया हम टुगर कहेबै
लागय जिनगीसँ, माँ आब हारि गेलौ यै
कहू बेटीकेँ किए.....
जगकेर माय अहाँ छी यै कल्याणी
नोरे मोर जीवन कहू कतेक कानी
कने हमरो ने, किए दुलारि देलौ यै
कहू बेटीकेँ किए....
बेटी ई नेहक बस आस माँ धरैए
अक्षय आशीष लेल मोन खेखनैए
चरण गहलक जे, तकरा अहाँ तारि देलौ यै
कहू बेटीकेँ किए....
◼️◼️
नोट :- ई गीत सुनबाक लेल एहिठाम क्लिक करू

टिप्पणियाँ
एक टिप्पणी भेजें
अहाँक प्रतिक्रिया हमरा लेल महत्त्वपूर्ण अछि