बरसाइत(वट-सावित्री) गीत : ... हे चलू पूजन सखिया
सोहाग-भागक पाबनि एलै बरसाइत, हे चलू पूजन सखिया
साजल रहतै अहिबात, हे चलू पूजन सखिया
नवका लहठी पहिरब नवका साड़ी, हे चलू पूजन सखिया
भरि बोहनी लावा लेबै माथ, हे चलू पूजन सखिया
साठि सावित्री पूजब बिषहरि संगमे, हे चलू पूजन सखिया
हिलि-मिलि पूजब ब'रक गाछ, हे चलू पूजन सखिया
अँकुरी फुलाय सखि नैवेद्य लगायब, हे चलू पूजन सखिया
जल ढारब आम ल' क' हाथ, हे चलू पूजन सखिया
बियनि डोलाय बरकेँ ग'र लगायब, हे चलू पूजन सखिया
संग-संग बान्हब नेहक ताग, हे चलू पूजन सखिया
अक्षय औरूदा सखि बालम लए मांगब, हे चलू पूजन सखिया
खोंपामे खोंसब ब'रक पात, हे चलू पूजन सखिया
◼️◼️
✍️ अक्षय आनन्द सन्नी


टिप्पणियाँ
एक टिप्पणी भेजें
अहाँक प्रतिक्रिया हमरा लेल महत्त्वपूर्ण अछि