मैथिली गीत : गुड़ल दालिमे सोहारी अमरित लगै हइ...



 
रौद हट्ठामे जखनी गे तीत लगै हइ
गुड़ल दालिमे, सोहाड़ी अमरित लगै हइ

लागनि पकड़ि करी माटीक गोहारि गे
टघरि-टघरि घाम भरइ खेतक दरारि गे
ठेकल हऽर महक बैल दुनू मीत लगै हइ
गुड़ल दालिमे........

खुशी से जै दिनमा खेत हरियऽतौ
मोन तोर नचतौ गे ठोर मुसकऽतौ
हर्ख सांचो गे जिनगीक गीत लगै हइ
गुड़ल दालिमे.........

धरती माइ दैत रहौ एहिना दुलार गे
कादो आ थाल से लिखबै  कपार गे
माटी गरदामे  अक्षय पिरीत लगै हइ
गुड़ल दालिमे..........
◼️
✍️ अक्षय आनन्द सन्नी
 
 
नोट- ई गीत सुनबाक लेल एहिठाम क्लिक करू

टिप्पणियाँ

एक टिप्पणी भेजें

अहाँक प्रतिक्रिया हमरा लेल महत्त्वपूर्ण अछि

लोकप्रिय पोस्ट