मैथिली लोरी : सुततै बौआ सुततै बाउ..

 


निनिया रानी  जल्दी  आउ, सुततै  बौआ   सुततै  बाउ
सपनलोक बौआकेँ बुलाउ, सुततै  बौआ   सुततै  बाउ

चन्ना  मामाकेँ  कहि  दियौ  ने, जाक'  कतहु  नुकेताह
बौआ  हमर,  सुतुआ  करतै, एसगर  अपन  खेलेताह
अहाँ  पवनदेव  बियनि  डोलाउ । सुततै बौआ......

कोइली  दैया, आबिक'  कने, मिठगर  गीत  सुनबियौ
अम्मा  अहाँ   बाटी   भरिक'   दूध - बतासा   लबियौ
बौआके   मुँहमे   घुटूक   कराउ । सुततै बौआ......

मम्मीक   आँचर   तरमे   निनिया,   पैर  बारिक'  एतै
फेरो     नैनक       फूलबारीमे,     नहुँएसँ     मुसकेतै
नेहक    झीसीमे    खूब    नहाउ । सुततै बौआ......
◼️

टिप्पणियाँ

एक टिप्पणी भेजें

अहाँक प्रतिक्रिया हमरा लेल महत्त्वपूर्ण अछि

लोकप्रिय पोस्ट